महेश सिंह सिरहा लहान १८ मंसिर – २०७४ सालमे निर्वाचित स्थानीय तहक पदाधिकारी सभक पदावधि समाप्त होब लागल अछि । आ प्रचलित कानुनअनुसार निकट भविष्यमे स्थानीय तहक निर्वाचन होयबे टा करत ।आगामी निर्वाचन घोषणा होबय सँ पहिने मतदाता नामावलीमे नाम दर्ता करबा लेल योग्यता पहुँचल नेपाली नागरिकके मताधिकारसँ वञ्चित होबय नई परैक ।
तेँ निर्वाचन आयोग देशक ७७ टा निर्वाचन कार्यालय, ७७ टा जिल्ला प्रशासन कार्यालय आ विभिन्न जिलाक ४० टा इलाका प्रशासन कार्यालयसँ भरहल मतदाता नामावली संकलन कार्यके निरन्तरता दैत मंसिर १७ गतेसँ उल्लिखित कार्यालय रहल स्थानीय तहक अतिरिक्त ६३७ टा स्थानीय तहक केन्द्रमे मतदाता नामावली संकलन विशेष कार्यक्रम अभियानक रुपमे सञ्चालन क रहल अछि ।
तराईक जिलामे ई कार्यक्रम १५ दिनधरि सञ्चालन हयत । उक्त मतदाता नामावली संकलन अभियानमे १६ वर्ष पूरा क नेपाली नागरिकता प्राप्त सभहक नामावली संकलन हयत । आ निर्वाचन आयोग १८ वर्ष पुरा भेल के मतदाता नामावलीमे नाम समावेश करत । तेँ मतदाता नामावली मे अपन नाम दर्ता कराऊ ।
रोजगारी आअ अन्य काजक सिलसिलामे ज अहाँ कतौ बाहर छी त ओही जिलाक निर्वाचन कार्यालयमे १७ गतेसँ मतदाता नामावली मे नाम दर्ता कराऊ ।म्तदाता नामावली मे नाम दर्ता कराबयबाला अभियानमे टोल समाजक सभ अगुवा के अग्रसरता लेबाक लेल सेहो हम आग्रह करै छी ।